अन्तर्राष्ट्रिय पर्यटन मेलामे सहभागी लेल नाट्टाके टीम स्पेन प्रस्थान

काठमाण्डू, ७ माघः अन्तर्राष्ट्रिय पर्यटन मेलामे सहभागिताक लेल नेपाल एसोसिएशन अफ टुर एन्ड ट्राभल एजेन्ट्स (नाट्टा)के टीम स्पेन प्रस्थान केलक अइछ ।

नेपाल पर्यटन बोर्डके सहकार्यमे स्पेनके म्याड्रिडमे जनवरी २२सँ २६ धैर भ रहल अन्तर्राष्ट्रिय ट्राभल ट्रेड फेयर (फितुर)मे सहभागी होएबाक लेल नाट्टाके अध्यक्ष कुमारमणि थपलिया नेतृत्वके टीम आइ भोरमे स्पेन प्रस्थान केलक अइछ ।

उक्त मेलामे नेपालक २५ सँ बेसी ट्राभल, ट्रेकिङ आ होटल व्यवसायसँ ५० सँ बेसी प्रतिनिधि सहभागी होएत नाट्टाके सहकोषाध्यक्ष एवं कार्यक्रमके संयोजक ढकनाथ काफ्ले जानकारी देलैन अइछ ।

नाट्टाके अध्यक्ष थपलिया नेपालक पर्यटन क्षेत्रकेँ विश्वभैरमे प्रसिद्धि लेल एहन मेलासँ सहयोग पहुँचबाक बताैलैन । नेपालमे पर्यटन क्षेत्रके टिकाउ विकाशक लेल एहन कार्यक्रममे निरन्तर सहभागिता आवश्यक रहल हुनकर कहब छैन ।

स्पेनमे भ रहल उक्त अन्तर्राष्ट्रिय मेलामे विश्वभैरके एक लाखसँ बेसी पर्यटकीय उद्योग, व्यवसायी, प्रतिनिधि आ व्यवसाय साझेदारसभक उपस्थिति होएबाक नाट्टा जनौलक अइछ । नेपालक आकर्षक गन्तव्य तथा पर्यटकीय स्रोतकेँ विश्वव्यापी बनाबैत आर्थिक गतिविधिकेँ मजबुत करबाक लेल एहन मेला महत्वपूर्ण भेल अध्यक्ष थपलिया बताैलैन ।

प्रतिक्रिया दिनुहोस

[gs-fb-comments]

मुख्य समाचार

उद्योग तथा वाणिज्य र श्रम तथा उपभोक्ता हित समितिको बैठक बस्दै

उद्योग तथा वाणिज्य र श्रम तथा उपभोक्ता हित समितिको बैठक बस्दै

शुक्रबार, २७ असार २०८२ काठमाडौँ । आज उद्योग तथा वाणिज्य र श्रम तथा उपभोक्ता हित समितिको बैठक बस्दै छ । बैठक बिहान ११ बजे बस्नेछ...
घर खरिद र बनाउन बैंकबाट ३ करोडसम्म कर्जा दिइने

घर खरिद र बनाउन बैंकबाट ३ करोडसम्म कर्जा दिइने

शुक्रबार, २७ असार २०८२ काठमाडौँ । निजी आवासीय घर निर्माण वा खरिद गर्न बैंकबाट ३ करोड रुपैयाँसम्म कर्जा पाइने भएको छ । नेप...
असारमै पानी नपरेपछि मधेश प्रदेश सुक्खाग्रस्त घोषणा, राहतका लागि संघ सरकारलाई आग्रह गर्ने

असारमै पानी नपरेपछि मधेश प्रदेश सुक्खाग्रस्त घोषणा, राहतका लागि संघ सरकारलाई आग्रह गर्ने

असार २७, २०८२ काठमाडौँ — ठाउँठाउँमा भारी वर्षापछि बाढीपहिरोले विध्वंश मच्चाउँदा मधेश प्रदेशलाई भने सुक्खाग्रस्त घोषणा गरिएको छ ...
मौद्रिक नीति घोषणा गर्दै गभर्नर पौडेल

मौद्रिक नीति घोषणा गर्दै गभर्नर पौडेल

असार २७, २०८२ काठमाडौँ — नेपाल राष्ट्र बैंकका गभर्नर विश्वनाथ पौडेलले आर्थिक वर्ष ०८२/०८३ को मौद्रिक नीति घोषणा गरिरहेका छन् । ...