बलान–बिहुलक विद्यालयमे मैथिली भाषाक पाठ्यक्रम

गोलबजार (सिरहा), ७ माघ: सप्तरी जिलाक बलान–बिहुल गाउँपालिकासँ अपन मातहतके विद्यालयसभमे स्थानीय पाठ्यक्रम निर्माण क लागू करबाक निर्णय कएल गेल अइछ।

राष्ट्रिय पाठ्यक्रम प्रारूप २०७६ के व्यवस्थाअनुसार, अगिला शैक्षिक सत्रसँ गाउँपालिका क्षेत्रक सामुदायिक आ संस्थागत विद्यालयसभमे स्थानीय पाठ्यक्रम लागू करबाक तैयारी भ रहल अइछ।

स्थानीय ज्ञान, सीप, प्रविधि, परपावैन, संस्कृति आ शान्तिक सन्देश भावी पीढ़ी तक पहुँचेबाक उद्देश्यसँ पाठ्यक्रम निर्माणमे गाउँपालिका सक्रिय अइछ। ई जानकारी गाउँपालिका अध्यक्ष खेमचन्द्र यादव देने छैथ।

आधारभूत तहक कक्षा १सँ ८ तकके लेल मैथिली भाषामे पाठ्यक्रम बनाक लागू करबाक योजना बनाओल गेल अइछ। अगिला शैक्षिक सत्रमे कक्षा १ सँ ३ तकके पाठ्यक्रम निर्माण होएत। शिक्षा शाखाक प्रमुख दिनेशकुमार मण्डल कहलैन जे पाठ्यक्रमक खाका तैयार करबाक लेल विद्यालयसभक प्रधानाध्यापकसभक एकटा विज्ञ समिति गठन करबाक निर्णय शिक्षा समिति केने अइछ।

पाठ्यक्रमक प्रारूप बनलाक बाद, नगर क्षेत्रक शिक्षासँ सम्बद्ध लोकसभक सङ चर्चा आ परामर्श क ओकरा अन्तिम रूप देल जाएत आ पाठ्यक्रमक रूपमे लागू कएल जाएत। कक्षा ४ सँ ८ तकके पाठ्यक्रम अगिला सत्रसँ लागू होएत।

मैथिली मातृभाषामे स्थानीय विषयवस्तु जकाँ क्षेत्रक प्राकृतिक, सामाजिक, ऐतिहासिक, सांस्कृतिक, आर्थिक आ कृषिक विविधता, नदी-ताल, खनिज पदार्थ, जलवायु परिवर्तन, विपदा, योग, खेलकूद, असल सामाजिक कार्यक्रम आ स्थानीय पेसा-व्यवसाय आदिक समावेश पाठ्यक्रममे होएत। एहिसँ छोट कक्षाके विद्यार्थीसभक लेल पढ़ाइ आ सीखब सरल होएत। कलासंस्कृतिक संरक्षण सेहो सुनिश्चित होएत। ई विचार जनता माध्यमिक विद्यालय, रामनगर कोदरकट्टीक प्रधानाध्यापक देवप्रसाद यादव व्यक्त कएलैन। कक्षा १ सँ ३ तकके स्थानीय पाठ्यक्रम १०० पूर्णांकक होएत।

स्थानीय पाठ्यक्रम निर्माणमे इन्टरनेसनल अलर्टक आर्थिक सहयोग आ समग्र जनउत्थान केन्द्र लहान सिरहाक ‘महिला आ सीमान्तकृत समूह केँ लैङ्गिक न्यायक सुदृढीकरण’ परियोजनाक प्राविधिक सहयोग रहबाक परियोजनाक व्यवस्थापक रामकृपाल साह जानकारी देलैन ।

प्रतिक्रिया दिनुहोस

[gs-fb-comments]

मुख्य समाचार

इजरायलद्वारा दश जना प्यालेस्टिनीको रिहाइ

इजरायली सेनाले गाजा क्षेत्रमा सञ्चालन गरेको पछिल्लो सैनिक अभियानको क्रममा पक्राउ परेका दश जना प्यालेस्टिनीलाई रिहा गरेको जनाएको ...

रुसको आर्थिक वृद्धिदर पहिलो त्रैमासिकमा १.४ प्रतिशतमा सीमित

सन् २०२५ को पहिलो त्रैमासिकमा रुसको सकल घरेलु उत्पादन (जीडीपी) अघिल्लो वर्षको सोही अवधिको तुलनामा १.४ प्रतिशतले वृद्धि भएको प्रा...

युक्रेनमा भएको रूसी आक्रमणमा नौ जनाको मृत्यु

उत्तरी युक्रेनको सुमी क्षेत्रमा यात्रु बोकेको सानो बसमा भएको रूसी मानवरहित हवाई यन्त्र (ड्रोन) आक्रमणमा परी नौ जनाको मृत्यु भएको...

अमेरिकी अदालतको फैसलाले सरकारको आप्रवासी नीति प्रभावित: ट्रम्प

संयुक्त राज्य अमेरिकाका राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्पले शुक्रबार अमेरिकी सर्वोच्च अदालतको पछिल्लो निर्णयप्रति आफ्नो गम्भीर असन्तोष ...