काठमाण्डू, १८ माघ : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) के सभापति रवि लामिछाने आइ सभामुख देवराज घिमिरेसङ भेट करैत अपन सांसद पद निलम्बन फुकुवाके लेल निवेदन देलैन अइछ ।
सिंहदरबारस्थित सभामुख घिमिरेके कार्यकक्षमे भेल ओइ भेटमे सभापति लामिछाने सभामुख घिमिरेसमक्ष निलम्बन फुकुवा करबाक लेल निवेदन बुझाैने छैथ । सभापति लामिछाने थुनामुक्त भेल व्यहोरा उल्लेख करैत निलम्बन फुकुवाके निवदेन देलैन । सभापति लामिछानेसङे उपसभामुख इन्दिरा राना, रास्वपाका कार्यवाहक सभापति डोलप्रसाद अर्याल, उपसभापति डा स्वर्णिम वाग्ले, प्रमुख सचेतक सन्तोष परियारलगायतके सांसदसभ सभामुख घिमिरेसङ भेट केलैन ।