प्रतिनिधिसभामे प्रधानमन्त्री: शुरु कएल गेल काजमे प्रगति भ रहल छै

काठमाण्डू, १८ माघ: प्रतिनिधिसभाके पाँचम अधिवेशन प्रारम्भके अवसरमे प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सभाके सम्बोधित करैत विकाश निर्माणमे शुरू कएल गेल काजमे प्रगति भ रहल अइछ बताैलैन अइछ।

ओ कहलैन “देशके समृद्ध बनेबाक लक्ष्य सङ सरकार आगाँ बइढ़ रहल अइछ आओर महत्वपूर्ण परियोजनाक प्रगति प्रस्तुत कएल गेल छै।” प्रधानमन्त्री ओली हाले सिद्धबाबा सुरंग मार्गक ‘ब्रेक थ्रू’के एकटा उपलब्धि बतबैत, सड़क यात्राक असुरक्षा घटाबए आओर पूर्वाधारके टिकाउ बनेबाक लेल सुरंग मार्गक योजना आगाँ बइढ़ रहल उल्लेख कएलैन।

ओ काठमाण्डू–तराई मधेश द्रुतमार्ग अंतर्गत मकवानपुरक धेद्रे सुरंग तथा चीन आ भारतके जोड़ैबला राष्ट्रीय गौरवक परियोजना जोगबनी–किमाथाङ्का सड़क मार्ग सेहो किछु दिन पहिने ‘ब्रेक थ्रू’ भेल से अवगत कराैलैन। प्रधानमन्त्री ओली कहलैन जे ठेकेदार कम्पनी काज छोड़लाके बाद बुटवल–नारायणगढ खण्डक सड़क निर्माण तेजीसँ आगाँ बइढ़ रहल अइछ। ओ कहलैन “मन्त्रिपरिषद्क पहिल बैसारमे कीर्तिपुरक क्रिकेट खेल मैदानके रंगशाला बनेबाक आओर ओहिमे फ्लडलाइट जोड़बाक निर्णय कएल गेल छल, जइ अनुरूप टेंडर आह्वान भ चुकल अइछ आओर निश्चित समयसँ पूरा करबाक लेल काज आगाँ बइढ़ रहल अइछ।”

“एहिना, सुर्खेतमे आधुनिक कर्णाली रंगशाला तैयार भ चुकल अइछ। विकाश निर्माणक काजमे ‘ब्रेक-थ्रू’ मात्रे नै, ‘ब्रेक’ लागल कतेको काजकेँ सेहो हमसभ आएलाक बाद आगाँ बढ़ेलाैँ,” प्रधानमन्त्री ओली अपन सम्बोधनमे कहलैन।

प्रतिक्रिया दिनुहोस

[gs-fb-comments]

मुख्य समाचार

राष्ट्र बैंकको १८औं गभर्नरमा विश्वनाथ पौडेल नियुक्त

राष्ट्र बैंकको १८औं गभर्नरमा विश्वनाथ पौडेल नियुक्त

६ जेठ, काठमाडौं । नेपाल राष्ट्र बैंकको १८औं गभर्नरका रूपमा प्रा.डा. विश्वनाथ पौडेल नियुक्त भएका छन् । मंगलबार साँझ बसेको मन्त्र...
     जनताको आधारभूत आवश्यकता पूरा गर्न सरकार प्रतिबद्ध छ : मन्त्री यादव  

     जनताको आधारभूत आवश्यकता पूरा गर्न सरकार प्रतिबद्ध छ : मन्त्री यादव  

पञ्चपुरी (सुर्खेत), ६ जेठ : खानेपानीमन्त्री प्रदीप यादवले जनताको आधारभूत आवश्यकता पूरा गर्न सरकार प्रतिबद्ध रहेको बताउनुभएको छ ।...
  सरकारभन्दा व्यवस्थाको रक्षा माओवादीको प्राथमिकता : उपमहासचिव पुन  

  सरकारभन्दा व्यवस्थाको रक्षा माओवादीको प्राथमिकता : उपमहासचिव पुन  

कास्की, ६ जेठ : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)का उपमहासचिव वर्षमान पुनले माओवादी केन्द्रले अहिले सरकारलाई प्राथमिकताम...

सुर्खेत जाँदै गरेको बस म्याग्देमा दुर्घटना हुँदा २५ जना घाइते

दमौली (तनहुँ), ६ जेठः पृथ्वी राजमार्गअन्तर्गत तनहुँको म्याग्दे गाउँपालिका–४ घुम्तीमा आज दिउँसो यात्रुवाहक बस दुर्घटना ...