काठमाण्डू, २१ माघः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल आइ भोर विश्वसम्पदा सूचिमे रहल ऐतिहासिक हनुमानढोका दरबारस्थित नासलचाैकमे वसन्त श्रवण केलैन अइछ । उक्त अवसरमे राष्ट्रपति पौडेल पुजारीसँ फूलमाला, टीका आ प्रसादसेहो ग्रहण केलैन । नेपाल पञ्चाङ्ग निर्णायक समिति उपलब्ध भोर ७ बजेर ५५ मिनेटके शुभसाइतमे वसन्त श्रवण केलैथ।
वसन्त पञ्चमीके दिन प्रत्येक साल राष्ट्रप्रमुखके रूपमे राष्ट्रपति वसन्त श्रवण करबाक चलन अइछ । वसन्त श्रवण श्रीमद्भागवत महापुराणके कथामे आधारित मान्यता अनुसार कएल जाइत छै ।
राष्ट्रपतिकेँ नेपाली सेनाक एक टुकडी सलामी अर्पण करबाक सङे पञ्चेबाजाद्वारा स्वागत कएल गेल छल । समारोहमे उपराष्ट्रपति रामसहायप्रसाद यादव, प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली, प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमानसिंह राउत, सभामुख देवराज घिमिरे आ राष्ट्रियसभाक अध्यक्ष नारायणप्रसाद दाहाल उपस्थित छलैथ । सएह अवसरमे सरकारक उच्च अधिकृतकासङे सुरक्षाअङ्गके प्रमुखसभ सहभागी छलैथ । वसन्तपञ्चमीक दिन देशभैर विद्याक देवी सरस्वतीके पूजाआराधना करबाक प्रचलन अइछ ।