टेलिकम अपन काजके समीक्षा क आगाँ बढ़ए पड़त: मन्त्री गुरूङ

काठमाण्डू, २२ माघ: सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वी सुब्बा गुरूङ नेपाल टेलिकम (नेपाल दूरसंचार कम्पनी लिमिटेड) अपन काजके समीक्षा क आगाँ बढ़ए पड़बाक कहलैन अइछ ।

टेलिकमक २१म् वार्षिकोत्सवक अवसरमे आयोजित कार्यक्रममे मन्त्री गुरूङ कहलैन “टेलिकमके आमदनी हर बरख घटैत जा रहल छै आ निजी क्षेत्रक कम्पनिसभ आगाँ आइब रहल अइछ, एहि लेल टेलिकमकेँ गहिर समीक्षा करबाक जरूरी अइछ।”

सरकारक प्रवक्ता मन्त्री गुरूङ कहलैन, “सरकारी कम्पनीसभमे टेलिकमप्रति हमसभ गर्व क रहल छी, मुदा प्रतिस्पर्धात्मक बाजारमे अइ तरहे टेलिकम नै चलत । जँ अहाँसभ एखन समीक्षा नै कएब तँ भविष्यमे पछताए पड़त।”

मन्त्री गुरूङ कहलैन जे टेलिकम बढ़ैत प्रविधीकेँ अपनाके सेवा विस्तार करैत निजी क्षेत्रसँ प्रतिस्पर्धा करबाक चाही । ओ कहलैन “टेलिकममे कमसँ कम २५ प्रतिशत शेयर जनताके रहबाक चाही, जाहिसँ ई संस्थाक जनताप्रति उत्तरदायी बनत।”

ओ कहलैन, “सुशासनसँ जुड़ल विषय ई-गवर्नेंस अइछ, ताहि लेल 4G सेवा गाम-गामधैर पहुँचब जरूरी अइछ। जँ ई काज भ गेल तँ ओहि क्षेत्रके विकाश बहुत तेजीसँ हएत ।”

मन्त्री गुरूङ कहलैन जे अखनो ग्रामीण क्षेत्रसभमे टेलिकमके टावरमे समस्या अइछ, एहि लेल टेलिकमकेँ गुणस्तरीय आ प्रभावी सेवाप्रदान करबाक दिशामे आगाँ बढ़बाक निर्देशन देल गेल छै।

ओ कहलैन “मधेश क्षेत्रके २२ टा जिलामे टेलिकमक उपस्थिति कमजोर छै, एहि साल मधेशमे टेलिकमके समुचित पूर्वाधार विकाश करबाक आ निर्बाध सेवा प्रवाह करबाक निर्देशन देल गेल अइछ।”

मन्त्री गुरूङ जानकारी देलैन जे सामाजिक मीडियाके प्रबंधन करबाक लेल सरकार ‘सामाजिक मीडिया प्रयोग आ नियमन विधेयक’ संसद्मे पेश केने अइछ। नेपालकेँ ‘आईटी हब’ बनेबाक उद्देश्यसँ संचार, सूचना आ प्रविधीसँ जुड़ल कानूनसभमे सुधार करबाक तैयारी चइल रहल अइछ।

संचार मन्त्रालयक सचिव आ टेलिकमक अध्यक्ष राधिका अर्याल टेलिकम विकट गामसभमे सेवा विस्तार क रहल आ डिजिटल नेपाल बनाबैमे सरकारक योजनामे सहयोग द’ रहल बताैलैन ।

प्रतिक्रिया दिनुहोस

[gs-fb-comments]

मुख्य समाचार

इजरायलद्वारा दश जना प्यालेस्टिनीको रिहाइ

इजरायली सेनाले गाजा क्षेत्रमा सञ्चालन गरेको पछिल्लो सैनिक अभियानको क्रममा पक्राउ परेका दश जना प्यालेस्टिनीलाई रिहा गरेको जनाएको ...

रुसको आर्थिक वृद्धिदर पहिलो त्रैमासिकमा १.४ प्रतिशतमा सीमित

सन् २०२५ को पहिलो त्रैमासिकमा रुसको सकल घरेलु उत्पादन (जीडीपी) अघिल्लो वर्षको सोही अवधिको तुलनामा १.४ प्रतिशतले वृद्धि भएको प्रा...

युक्रेनमा भएको रूसी आक्रमणमा नौ जनाको मृत्यु

उत्तरी युक्रेनको सुमी क्षेत्रमा यात्रु बोकेको सानो बसमा भएको रूसी मानवरहित हवाई यन्त्र (ड्रोन) आक्रमणमा परी नौ जनाको मृत्यु भएको...

अमेरिकी अदालतको फैसलाले सरकारको आप्रवासी नीति प्रभावित: ट्रम्प

संयुक्त राज्य अमेरिकाका राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्पले शुक्रबार अमेरिकी सर्वोच्च अदालतको पछिल्लो निर्णयप्रति आफ्नो गम्भीर असन्तोष ...