प्रधानमन्त्री आ मुख्यमन्त्रीसभ बीच भर्चुअल बैसार : समस्या पहिचान क समाधान करब –प्रधानमन्त्री

काठमाण्डू, २५ माघः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सेवा प्रवाह, सुशासन, समग्र प्रगति, विद्यमान चुनौती आ सङ्घीय सरकार करबाक सहजीकरणके विषयमे आइ सातु प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसङे भर्चुअल बैसार केलैन अइछ।

सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालयक ‘एक्सन रूम’सँ प्रधानमन्त्री ओली मुख्यमन्त्रीसभ सङे पहिल बेर अइ प्रकारक संवाद केलैन। करिब साढे दू घण्टा भेल अइ बातचितमे ओ प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसभक सङे असगरे असगर बातचित करबाक आवश्यकता देखाओल कहैत अगिला आर्थिक वर्षके बजेट निर्माणके तैयारी करैत काल आओर बातचित करैत जाेबाक विश्वास व्यक्त केलैन।

प्रधानमन्त्री ओली कहलैन “सम्भव होए तँ प्रदेशमे पहुँचके आ किछु प्रदेशसभामे सेहो पहुँचके राष्ट्र निर्माणक बारेमे केन्द्र आ प्रदेशक सोचपर विमर्श करब आ समस्याक पहिचान क कार्यान्वयनक ‘एक्शन’ मे लागब।” ओ कहलैन जे आजुक सूचना आ प्रविधिक जमानामे एहन बातचित जिला तह आ आयोजना स्तरपर मुख्यमन्त्रीसभके सङ भ सकैत अइछ।

प्रधानमन्त्री ओली अपन पहिलक कार्यकालके याद करैत सिंहदरबार स्थित कार्यालयक एक्शन रूमसँ देशभैरक निर्माणाधीन परियोजनासभक अनुगमन आ बातचित शुरू केने छलैथ आ एहि कक्षके उपयोग बढ़ाबैके योजना बनाएल गेल बताैलैन।

प्रधानमन्त्री ओली माध्यमिक शिक्षा परीक्षा, कक्षा १० (एसईई) मे ४८ प्रतिशत विद्यार्थी मात्र उत्तीर्ण होइ छै, एहन स्थितिके सुधार करबाक लेल किछु युवासभक सहयोगसँ अनलाइन माध्यमसँ मुख्य विषयसभमे अतिरिक्त कक्षा चलबैक शुरुआत कएलैन आ एहि कक्षामे ५७ हजार विद्यार्थी सहभागी रहल जानकारी सेहो ओ देलैन।

संवादमे मुख्यमन्त्रीसभ अइ बातचितके अवसर प्रदान करबाक लेल आभार व्यक्त करैत अपन सरकारद्वारा चालू आर्थिक वर्षमे एखनधैर कएल गेल भौतिक आ वित्तीय प्रगतिक विवरण, विद्यमान चुनौती आ समस्या समाधानक उपायसभक जानकारी देलैन। ओसभ किछु महत्वपूर्ण सुझाव सेहो देलैन जे बहुवर्षीय ठेकाक कार्यक्रमसभमे बजेटक निरन्तरता सहित अनुदानके टका बढेबाक आवश्यकता, परियोजना संचालन लेल गाछी कटान आ जमीन प्राप्तिके सहजता, विपद् प्रबंधनमे बजेटक वृद्धि, जनशक्ति प्रबंधन, भन्सार चोरी आ निकासी पर नियन्त्रण, गण्डकीके पर्यटक केन्द्रक रूपमे विकाश, निर्माणाधीन सड़कसभक शीघ्र पूरा करब, पूर्व–पश्चिम रेलमार्गक निर्माण लेल मुआवजा विवाद समाधान आ कार्य विस्तार पुनर्विचारक सुझाव देलैन।

सरकारके मुख्य सचिव एकनारायण अर्याल कहलैन जे मुख्यमन्त्रीसभकद्वारा उठाएल गेल समस्यासभ संघीय मन्त्रिपरिषद्क बैसार आ सरकारक सचिवसभक बैसारमे बातचित क सम्बोधन कएल जाएत । संवादमे प्रधानमन्त्रीक मुख्य सल्लाहकार विष्णुप्रसाद रिमाल, आर्थिक सल्लाहकार डा. युवराज खतिवाड आ उच्चाधिकारीसभक सहभागिता छल।

प्रतिक्रिया दिनुहोस

[gs-fb-comments]

मुख्य समाचार

HONOR ले Qualcomm को प्रायोजन मार्फत Manchester United संग सहकार्य:

HONOR ले Qualcomm को प्रायोजन मार्फत Manchester United संग सहकार्य:

Magic7 Pro को AI Photo Upscale द्वारा 115 वर्षको Manchester United इतिहासलाई जीवन्त बनाउँदै पुराना तस्वीरलाई नयाँ जीवन: AI Photo...
महालक्ष्मी विकास बैंक द्वारा वातावरण र संस्कृति, सम्पदा संरक्षण तथा दिगो बैंकिङका लागि वाकाथन सम्पन्न

महालक्ष्मी विकास बैंक द्वारा वातावरण र संस्कृति, सम्पदा संरक्षण तथा दिगो बैंकिङका लागि वाकाथन सम्पन्न

महालक्ष्मी विकास बैंकले मिति २०८१ फागुन १५—१६ गते बैंकको वार्षिक कार्यक्रम तथा दुइदिने कार्यशाला अन्तर्गत दिगो बैंकिङ, संस्कृति तथ...
म्याग्दीको प्रभुुचेलामा सामुदायिक ‘ध्यान केन्द्र’ स्थापना

म्याग्दीको प्रभुुचेलामा सामुदायिक ‘ध्यान केन्द्र’ स्थापना

म्याग्दी, १८ फागुनः मालिका गाउँपालिका–७ प्रभुचेला धुरीमा सामुदायिक ध्यान केन्द्र स्थापना भएको छ । परापूर्वकालमा ऋषिमुनिहरूले तपस्य...
दुनाटपरी गाँसेर जीविकोपार्जनको उपाय खोज्दै महिला

दुनाटपरी गाँसेर जीविकोपार्जनको उपाय खोज्दै महिला

मध्यविन्दु (नवलपरासी), १८ फागुनः नवलपरासी (बर्दघाट सुस्तापूर्व)को विनयी त्रिवेणी गाउँपालिका–१ बगुवनकी धनिसरा सिञ्जाली हिजोआज व्याव...