काठमाण्डू, ३ फागुनः सरकारमे सहभागी राजनीतिक दलसभक शीर्ष नेतासभ बीच आइ प्रधानमन्त्री निवासमे सम्पन्न भेल बैसारमे हालेँ जारी अध्यादेशसभकेँ संघीय संसद्क दुनु सदनसँ यथाशीघ्र अनुमोदन करबाक सहमति भेल अइछ।
गृहमन्त्री रमेश लेखक कहलैन “अध्यादेशसभकेँ शीघ्र पारित करबाक लेल प्रक्रियागत काज अविलम्ब आगाँ बढ़ेबाक सहमति भेल अइछ।”
ओ कहलैन, “आइ भेल सहमतिसभके अनुरूप अध्यादेशसभ आगाँ बढ़त। ई विषय सकारात्मक रूपमे निष्कर्षधैर पहुँचत ।”
एकटा प्रश्नक उत्तरमे ओ जनता समाजवादी पार्टी नेपाल (जसपा) के नेतासभसँ सेहो सहमति भेल जानकारी देलैन। ओ कहलैन जे सब अध्यादेश प्रतिस्थापन चाहैत रहैत अइछ, उक्त दलसभक बीच भेल बातचितक आधारमे सबके भावना समेटबाक प्रक्रिया शुरू कएल जाएत ।
बैसारमे सरकार आ संसद्सभक कार्यक्षमताक प्रभावकारिताक विषयमे सेहो चर्चा भेल।
बैसारमे प्रधानमन्त्री एवम् नेकपा (एमाले) के अध्यक्ष केपी शर्मा ओली, नेपाली कांग्रेसक सभापति शेरबहादुर देउवा, एमालेक वरिष्ठ उपाध्यक्ष ईश्वर पोखरेल, कांग्रेसक उपसभापति पूर्णबहादुर खड्का, जनता समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष अशोक कुमार राई, लोकतांत्रिक समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, नागरिक उन्मुक्ति पार्टीक अध्यक्ष रञ्जिता श्रेष्ठ आ जनमत पार्टीक उपाध्यक्ष अब्दुल खान आदि सहभागी छलैथ।
