बेर बेर विश्वासके मत लेबाक अवस्थासँ मुक्त भेल अइछः प्रधानमन्त्री

काठमाण्डू, १८ माघः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली संसद्मे बेर बेर विश्वासके मत लेबाक अवस्थासँ संसद् आब मुक्त भेल बताैलैन।

आइ प्रतिनिधिसभाक पाँचम् अधिवेशन प्रारंभके अवसरमे सभाके सम्बोधित करैत ओ कहलैन, “गेल छ महिनामे हमर संसदीय राजनीतिमे दोहराएब नै पड़ल एकटा सुखद पक्षमे एत उल्लेख करब। सत्ताके नाममे बोहैर बना क झट द दोसर नाहमे चढ़ल आओर देश एवं जनताके तिरस्कार करैत सत्ता-पत्ता खेलैबला विकृत स्थितिमे आब रोकल गेल अइछ।”

प्रधानमन्त्री ओली जनताके भरोसा आ संसद्क दृढ़तासँ भरल आत्मविश्वास ल सदनमे उपस्थित भेल उल्लेख कएलैन।

प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली स्पष्ट कएलैन जे पार्टी टुकड़ी करब सरकारके ‘मेन्यु’मे नै अइछ। ओ कहलैन जे कांग्रेस–एमाले सहितक मजबूत सरकारके प्राथमिकता एहन कदापि नै भ सकैत अइछ आओर सबके निश्चित रहबाक लेल आग्रह कएलैन। सरकार टुटत से सोइच समय बर्बाद नै करबाक आग्रह करैत ओ कहलैन, “विपक्षमे रहल साथीसभ अपन समय व्यर्थमे फेइक रहल छैथ — सरकार टुटत, सरकार नै टिकत । पुस महिना, माघे संक्रान्ति पार नै करत। आदि इत्यादि। एहन गायन मनोरंजनक मंचमे नीक लागैत छै, राजनीति मंचमे एहन बात कहब बन्द करु।”

बैसारमे प्रधानमन्त्री ओली संयुक्त राष्ट्रसंघक ७९म् महासभामे सहभागिता आ हाले सम्पन्न पड़ोसी चीनके औपचारिक भ्रमणके विषयमे सेहो जानकारी देलैन।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *