लमजुङ, २१ माघ: संचार आ सूचना प्रविधि मन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरूङ गामके विकाशके लेल कृषिमे आधुनिकीकरण जरूरी रहल कहलैन अइछ।
लमजुङ मर्स्याङ्दी गामपालिका-८ स्थित सिमलचौर भूमिगत सिंचाइ अन्तर्गत बोरिंग उद्घाटन करैत मन्त्री गुरूङ स्थानीयसभकेँ खेती-बाड़ी आ उत्पादनमे जोड़ देबाक आग्रह केलैथ।
ओ कहलैन “पूर्वाधार बनेबाक सरकारके काज अइछ आ विकाशके गतिविधि करबाक काज जनताके अइछ। चालू आर्थिक वर्षमे लमजुङके प्रत्येक घरमे टेलीफोन आ इन्टरनेट पहुँचाबैके प्रतिबद्धता जनाैलैन।
बोरिंग सिंचाइ संचालनमे आएलाक बाद ओकरा भरपूर उपयोग करबाक आग्रह करैत, सरकारके प्रवक्ता मन्त्री गुरूङ कहलैथ “वर्तमान सरकार जनताके हितमे कतेको महत्वपूर्ण प्रयास क रहल अइछ। ओ इहो कहलैथ “बिगड़ल आ कमजोर बनल देशकेँ सुधारबाक लेल दूटा दलके गठबन्धनसँ सरकार बनल अइछ, तँए सरकारके स्थिरता पर चिन्ता करबाक जरूरी नै अइछ।”
मन्त्री गुरूङ कहलैन, “पूर्ववर्ती सरकारसभ देशमे अस्थिरता उत्पन्न केलक, जाहि कारणेँ बारम्बार बजेट आबैत रहल, राजस्व सहीसँ उठाएल नै गेल, आ खर्च सेहो व्यवस्थित रूपसँ नै भेल। ई सब समस्याके समाधान करबाक लेल वर्तमान सरकार लगातार प्रयास क रहल अइछ।” ओ कहलैथ “बरसातके पाइनमे निर्भर रइह खेती करबाक स्थिति आब बोरिंग संचालन भेलाक बाद समाधान भ जाएत।”
वाड ८ के अध्यक्ष धनसिंह तामाङ कहलैन जे पाइनके अभावमे बहुत खेत-बारी बाँझे रइह जाइत छल, मुदा आब बोरिंग संचालनमे अएलासँ खेती करब आसान भ जाएत। स्थानीय उपभोक्ता पञ्चकली गुरूङ कहलैथ “सिमलचौर गामके सिंचाइ लेल बोरिंग बहुत सहयोगी साबित हएत । बोरिंग संचालन भेलाक बाद १५० सँ बेसी घरधुरीके खेती करबाक सुविधा भेटत।”