Monday, March 9News That Matters

विश्व क्यान्सर दिवसके अवसरमे ‘वाकाथन’ आयोजित

नारायणगढ (चितवन), २२ माघः विश्व क्यान्सर दिवसके अवसर पर आइ चितवनके भरतपुर स्थित बिपी कोईराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालद्वारा ‘वाकाथन’ कार्यक्रम सम्पन्न कएल गेल अइछ ।

एहि कार्यक्रममे अस्पतालमे कार्यरत चिकित्सक, कर्मचारी आ क्यान्सरसँ सम्बद्ध सैकड़ो लोकसभ सहभागिता जनौलैथ। भोर अस्पताल परिसरक १ नं गेटसँ कार्यक्रम शुरू भ बुद्धचोक, कटहर चोक, पीपलचोक आ अस्पतालक २ नं गेट होइत फेर अस्पताल परिसरमे समाप्त भेल।

अस्पतालक निर्देशक डा. शिवजी पौडेल जानकारी देलैथ जे फेब्रुअरी ४ क दिन अस्पतालद्वारा विश्व क्यान्सर दिवसक अवसरमे वाकाथन कार्यक्रम शुरू करैत दिवस मनाएल जा रहल अइछ। ओ कहलैन “सन् २०२५ के नारा ‘युनाइटेड बाई युनिक’ छै, जे भिन्नतामे एकताक दर्शबैत अइछ। चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ बेमारसभक भिन्न चरित्र बुइझ तिनकर इलाज करबाक चाही। आर्थिक, सामाजिक आ मनोवैज्ञानिक दृष्टिकोणसँ बेमारसभके स्थिति समैझ इलाज कएलासँ सेवा आओर प्रभावकारी हएत।”

डा. पौडेल कहलैन “आइ अस्पतालद्वारा विभिन्न कार्यक्रम आयोजित क विश्व क्यान्सर दिवस मनाएल जा रहल छै। भोर वाकाथनक बाद, दुपहर क्यान्सर विजेता, बेमार आ हुनकर परिवारसभ सङे अन्तरक्रिया आ क्यान्सर विरुद्ध विभिन्न सचेतनामूलक कार्यक्रम आयोजन कएल जाएत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *