Sunday, May 3News That Matters

जनकपुर साहित्य महोत्सवसँ संस्कृति संरक्षण आ प्रवर्द्धनमे सहयोग होबाक विश्वास

महेन्द्रनगर (धनुषा), २५ माघ : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह मिथिला साहित्य, सङ्गीत तथा संस्कृतिके संरक्षण आ प्रवर्द्धनमे जनकपुर साहित्य महोत्सव महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक विश्वास व्यक्त केलैन अइछ ।

महोत्सवके छठम् संस्करणके उद्घाटन समारोहमे मुख्यमन्त्री सिंह साहित्यिक, सांस्कृतिक आ सामाजिक चेतनामे महत्त्वपूर्ण योगदान पहुँचाएत उल्लेख करैत वर्तमान युगमे साहित्य आ कलाकेँ जीवन्त राखबाक चुनौती भेल बताैलैन ।

मुख्यमन्त्री सिंह कहलैन, “प्रतिभा आ सिर्जनशीलताके मूल्याङ्कन शैक्षिक प्रमाणपत्रमे मात्रे निर्भर नै रहैत छै।” ओ जनकपुर साहित्य महोत्सव जँका सांस्कृतिक गतिविधिकेँ निरन्तरता देबाक आवश्यकता रहल कहैत ताहि लेल सब क्षेत्रके सहयोग रहबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *