विश्व क्यान्सर दिवसके अवसरमे ‘वाकाथन’ आयोजित
Breaking News, Breaking News 1, Breaking News 2, अन्तर्राष्ट्रिय, अर्थ, खेलकुद, पर्यटक, प्रदेश, फिचर, मनोरञ्जन, राजनीति, विचार, विज्ञान प्रविधि, शिक्षा, समाचार, सुरक्षा र कुटनिती, स्थानीय तह विशेष, स्वास्थ्य
नारायणगढ (चितवन), २२ माघः विश्व क्यान्सर दिवसके अवसर पर आइ चितवनके भरतपुर स्थित बिपी कोईराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालद्वारा ‘वाकाथन’ कार्यक्रम सम्पन्न कएल गेल अइछ ।
एहि कार्यक्रममे अस्पतालमे कार्यरत चिकित्सक, कर्मचारी आ क्यान्सरसँ सम्बद्ध सैकड़ो लोकसभ सहभागिता जनौलैथ। भोर अस्पताल परिसरक १ नं गेटसँ कार्यक्रम शुरू भ बुद्धचोक, कटहर चोक, पीपलचोक आ अस्पतालक २ नं गेट होइत फेर अस्पताल परिसरमे समाप्त भेल।
अस्पतालक निर्देशक डा. शिवजी पौडेल जानकारी देलैथ जे फेब्रुअरी ४ क दिन अस्पतालद्वारा विश्व क्यान्सर दिवसक अवसरमे वाकाथन कार्यक्रम शुरू करैत दिवस मनाएल जा रहल अइछ। ओ कहलैन “सन् २०२५ के नारा ‘युनाइटेड बाई युनिक’ छै, जे भिन्नतामे एकताक दर्शबैत अइछ। चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ बेमारसभक भिन्न चरित्र बुइझ तिनकर इलाज करबाक चाही। आर्थिक, सामाजिक आ मनोवैज्ञानिक दृष्टिकोणसँ बेमा...










