वीरगंज भन्सारसँ छ महिनामे ८० अरब राजस्व सङ्कलन
Breaking News, Breaking News 1, Breaking News 2, अर्थ, प्रदेश, फिचर, राजनीति, विचार, समाचार, स्थानीय तह विशेष
वीरगंज (पर्सा), ७ माघ: वीरगंज भन्सार कार्यालय चालू आर्थिक वर्षक छ मासक अवधिमे रू ८० अरब पाँच करोड़ ५१ लाख राजस्व सङ्कलन कएलक अइछ। भन्सार विभाग कार्यालयकेँ चालू आ.व.के एहि अवधिमे एक खर्ब चाइर अरब १८ करोड़ टका राजस्व सङ्कलनके लक्ष्य देने छल, मुदा कार्यालय ७६ दशमलव ८४ प्रतिशत लक्ष्य पूरा करबामे सफल भेल अइछ।
भन्सार कार्यालयक प्रमुख प्रशासक दीपक लामिछानेक अनुसार सवारीसाधन आ पेट्रोलियम पदार्थक आयातमे वृद्धिक कारण राजस्व सङ्कलनमे सुधार भेल अइछ। ओ कहलैथ, "सवारीसाधन आ पेट्रोलियम पदार्थक आयात बढ़लाक कारण राजस्व उत्साहजनक रूपसँ बढ़ल अइछ। विशेष रूपे साओनसँ पुस महिनामे उच्च राजस्व सङ्कलन देखल गेल अइछ।"
साओन महिनामे कार्यालय १२ अरब १५ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक। भादब महिनामे १३ अरब ४२ करोड़ , आसिनमे १३ अरब ४७ करोड़, कातिकमे ११ अरब १० करोड़, आ अगहनमे १४ अरब ४० करोड़ राजस्व सङ्...


