कृषिके आधुनिकीकरण जरूरी अइछ: संचार मन्त्री
Breaking News, Breaking News 1, Breaking News 2, अन्तर्राष्ट्रिय, अर्थ, खेलकुद, पर्यटक, प्रदेश, फिचर, मनोरञ्जन, राजनीति, विचार, विज्ञान प्रविधि, शिक्षा, समाचार, सुरक्षा र कुटनिती, स्थानीय तह विशेष, स्वास्थ्य
लमजुङ, २१ माघ: संचार आ सूचना प्रविधि मन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरूङ गामके विकाशके लेल कृषिमे आधुनिकीकरण जरूरी रहल कहलैन अइछ।
लमजुङ मर्स्याङ्दी गामपालिका-८ स्थित सिमलचौर भूमिगत सिंचाइ अन्तर्गत बोरिंग उद्घाटन करैत मन्त्री गुरूङ स्थानीयसभकेँ खेती-बाड़ी आ उत्पादनमे जोड़ देबाक आग्रह केलैथ।
ओ कहलैन “पूर्वाधार बनेबाक सरकारके काज अइछ आ विकाशके गतिविधि करबाक काज जनताके अइछ। चालू आर्थिक वर्षमे लमजुङके प्रत्येक घरमे टेलीफोन आ इन्टरनेट पहुँचाबैके प्रतिबद्धता जनाैलैन।
बोरिंग सिंचाइ संचालनमे आएलाक बाद ओकरा भरपूर उपयोग करबाक आग्रह करैत, सरकारके प्रवक्ता मन्त्री गुरूङ कहलैथ “वर्तमान सरकार जनताके हितमे कतेको महत्वपूर्ण प्रयास क रहल अइछ। ओ इहो कहलैथ “बिगड़ल आ कमजोर बनल देशकेँ सुधारबाक लेल दूटा दलके गठबन्धनसँ सरकार बनल अइछ, तँए सरकारके स्थिरता पर चिन्ता करबाक जरूरी नै अइछ।”...










