बेर बेर विश्वासके मत लेबाक अवस्थासँ मुक्त भेल अइछः प्रधानमन्त्री
Breaking News, Breaking News 1, Breaking News 2, अन्तर्राष्ट्रिय, अर्थ, खेलकुद, पर्यटक, प्रदेश, फिचर, मनोरञ्जन, राजनीति, विचार, विज्ञान प्रविधि, शिक्षा, समाचार, सुरक्षा र कुटनिती, स्थानीय तह विशेष, स्वास्थ्य
काठमाण्डू, १८ माघः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली संसद्मे बेर बेर विश्वासके मत लेबाक अवस्थासँ संसद् आब मुक्त भेल बताैलैन।
आइ प्रतिनिधिसभाक पाँचम् अधिवेशन प्रारंभके अवसरमे सभाके सम्बोधित करैत ओ कहलैन, “गेल छ महिनामे हमर संसदीय राजनीतिमे दोहराएब नै पड़ल एकटा सुखद पक्षमे एत उल्लेख करब। सत्ताके नाममे बोहैर बना क झट द दोसर नाहमे चढ़ल आओर देश एवं जनताके तिरस्कार करैत सत्ता-पत्ता खेलैबला विकृत स्थितिमे आब रोकल गेल अइछ।”
प्रधानमन्त्री ओली जनताके भरोसा आ संसद्क दृढ़तासँ भरल आत्मविश्वास ल सदनमे उपस्थित भेल उल्लेख कएलैन।
प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली स्पष्ट कएलैन जे पार्टी टुकड़ी करब सरकारके ‘मेन्यु’मे नै अइछ। ओ कहलैन जे कांग्रेस–एमाले सहितक मजबूत सरकारके प्राथमिकता एहन कदापि नै भ सकैत अइछ आओर सबके निश्चित रहबाक लेल आग्रह कएलैन। सरकार टुटत से सोइच समय बर्बाद नै करब...










