काठमाण्डू, ४ फागुनः खुन नै जमैबला वंशाणुगत समस्या हेमोफिलिया रोगसँ पीड़ित बेमारसभकेँ निःशुल्क दवाइ उपलब्ध कराबै लेल स्वास्थ्य आ जनसंख्या मन्त्रालय आ विश्व हेमोफिलिया महासंघ बीच समझौता भेल अइछ।
स्वास्थ्य आ जनसंख्या मन्त्रालयक निजी सचिवालय अनुसार दवाइ व्यवस्था विभागमे वितल शुक्रदिन महासंघ आ मन्त्रालय बीच एहि समझौताके हस्ताक्षर भेल अइछ।
समझौताक तहत महासंघद्वारा ई रोगके इलाजक लेल आवश्यक दवाइ प्रदान कएल जाएत, आ मन्त्रालय मातहतक संघीय आ प्रादेशिक अस्पतालसभ सहित अन्य सरकारी अस्पतालसभमे सेहो ई दवाइ उपलब्ध कराएल जाएत।
स्वास्थ्य आ जनसंख्या मन्त्रालयक प्रवक्ता डा. प्रकाश बुढाथोकीक अनुसार एखनधैर देशमे ९०० हेमोफिलियाक रोगी पहिचान भेल अइछ, जखन कि विश्व स्वास्थ्य संगठनके अनुमान अनुसार नेपालमे करीब ५,००० हेमोफिलिया मरीज भ सकैत छैथ। २०७८ सालक जनगणना अनुसार २.२ प्रतिशत लोकमे अपांगता देखल गेल छल, जाहिमे ०.८ प्रतिशत हेमोफिलियासँ प्रभावित होबाक अनुमान कएल गेल अइछ।